IMRYA News

IMRYA News

Contact information, map and directions, contact form, opening hours, services, ratings, photos, videos and announcements from IMRYA News, News Personality, Bakmandar, Darbhanga.

IMRYA News:
Patron and promoter of 'Indian Maithil culture'

Our page, called 'IMRYA News', is inspired by our NGO 'Imrya' (IMRYA), just like our YouTube channel - 'IMRYA' / 'IMRYA News'.

03/07/2024

#टाम_क्रूज़क_62म_जन्मदिवस@ #इमर्या_न्यूज़

हॉलीवुड सिनेमाक सुपरस्टार टाम क्रूज़ अपन फिल्मी करियरमे एक सँ बढ़िक$ एक यादगार फिल्म देलथि अछि। हुनक प्रशंसकलोकनि खालीटा देशमे नञि ,बलुक विदेशमे सेहो फैलल छथि। अपन देश भारतमे हिनक फिल्म सभकेँ खूब पसिन कयल जाइत अछि। 1981 ई० मे फिल्म 'एंडलेस लव स्टोरी' सँ अपन करियरक शुरुआत कर$ वला टॉम आई अपन 62 म जन्मदिवस मना रहल छथि। पार्टटाइम सँ ल$ क$ फूलटाइम जाब धरिक सफरनामा केँ यादि करी, तहन हिनक तुलना भारतीय सुपरस्टार रजनीकांत सँ करि सकैत छी। समस्त भारतवासी आओर 'इमर्या न्यूज़' दिशसँ टाम क्रूज़ केँ जन्मदिवस क हार्दिक वा प्रगतिशील शुभकामना!

(साभार : छायाचित्र, राष्ट्रीय दैनिक 'दैनिक जागरण'क सौजन्य सँ)

Photos from IMRYA News's post 29/06/2024

#विश्व_क्रिकेट@ #इमर्या_न्यूज़, #मिथिला( #भारत)

#भारत_बनल_ट्वेंटी_ट्वेंटी_विश्व_कप_केँ_विजेता
#दक्षिण_अफ्रीका_बनल_उप_विजेता

दुनियाकेँ बेहतरीन क्रिकेट टीममेसँ एक दक्षिण अफ्रीका संगे खेलाइत रोचक मुकाबिला में भारत ०७ रन सँ विश्वविजेता बनल ! समस्त देशवासी तरफसँ भारतीय टीम(विजेता) आओर दक्षिण अफ्रीकी टीम(उप-विजेता) केँ हार्दिक वा प्रगतिशील शुभकामना!

26/06/2024

#मेट्रो@ #दरभंगा( #मिथिला)

"दरभंगामे मेट्रो अयबाक संभावना अछि... ", " दरभंगामे मेट्रो_आबि सकैत अछि...", "आई नञि काल्हि, दरभंगा सहित राज्यक शेष जनपदमे मेट्रो एब्बेटा कर$त..." ; एहन-सन वाक्यांशक शोर अछि मिथिलाक हृदयस्थली दरभंगा समेत सगरो मिथिला (बिहार)मे !

' #दरभंगा_एयरपोर्ट' जखन संभावित रहै, तहियासँ ल$ क$ सार्वजनिक नियमित परिचालन धरि बहुत लोकनि कहैत रहैत छलाह, "दरभंगा में एयरपोर्ट कहियो हेब्बो करतैक...!" भेलै की नञि भेलै !

तहिना बिहारक किछु आर जनपद संगहि ' #दरभंगा_मेट्रो'क संभावित समाचार पर फलतुआलोकनिक टिप्पणी छन्हि, "दरिभंगा मे मेट्रो...,एखन दिल्ली दूर छैक !"

जखनकि मिथिलाक विकासवादी जनता संगहि हमरो मानब अछि, "जे हमरालोकनि कने आर संगठित, स्वच्छ आओर सभ्य नागरिक (नगर में रहनिहार) भ$ जाई, तहन मेट्रो लाइफ क योग्य भ$ जाएब ; रहल बात दरिभंगा मे मेट्रो आब$केँ, तहन , जखन राज्यक राजधानी पटनामे मेट्रो निर्माणाधीन अछि, तखन दरभंगा मेट्रो लगिचाएले बूझु...!"

(साभार : छायाचित्र, 'मैथिल समाज' केर माध्यम सँ।)

14/06/2024

#सुशांत_सिंह_राजपूतक_पुण्यतिथि @ ्लोबल_मिथिला

हमरालोकनिक बिहारक दोसरि आओर मिथिला(भारत)क पहिल सिने सुपरस्टार अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केँ चारिम बरखी पर हुनका सादर यादि ओ नमन !

आजुक दिन मिथिलाक गाम -मलदहिया(पूर्णिया) सँ ल$ क$ वाया पटना आओर दिल्ली, बांद्रा(मुंबई) धरि खूब मोन पड़ि रहल अछि। हुनक निधन पर बतौर मैथिल हम निम्न पँक्ति लिखने रही :-

"आब जाधरि ग्लोबल मिथिला पावनि -' #चौरचन्ना' मनाओत
ताधरि 'चान'मे 'चान'क ज़मींदार मैथिल 'SSR' नज़र आओत"

🌷प्रकाश कुमार "छोटू"

09/06/2024

#अमता_घरानाक_प्रसिद्ध_संगीतज्ञ_पंडित_रामकुमार_मल्लिक_हमरालोकनिक_बीच_नञि_रहलथि

दरभंगा घरानाक पद्मश्री पंडित रामकुमार मल्लिक (73 वर्ष)क निधन शनिकेँ राति, बहेड़ी थानांतर्गत पैतृक ग्राम- आमता में हृदय गति रुकि गेलासँ भ$ गेल। ओ महान संगीतज्ञ पंडित विदुर मल्लिक के पुत्र ओ शिष्य रहथि। पंडित जी देश-विदेशक प्रतिष्ठित मंच सभ पर अपन संगीतक लोहा मनबौलनि। कतेको सम्मान-पुरस्कार सँ अलंकृत रहथि। वर्तमान वर्ष 2024 मे हिनका पद्मश्री अलंकरणसँ सेहो सम्मानित कयल गेलनि। निम्न छायाचित्र पद्मश्री अलंकरण समारोह-2024 सँ संबद्ध अछि। एतय उल्लेखनीय अछि जे जनपद दरभंगा क 'अमता घराना'(दरभंगा घराना) ध्रुपद गायनमे देशकेँ प्रसिद्ध घरानामे एक अछि। अपन देशमे लगभग 500 वर्षक परंपरा रहल अछि ध्रुपद गायन केँ।
हमरालोकनिक बहेड़ी नगर पंचायत -सह-बेनीपुर विधानसभाक गौरव, मिथिला विभूति, ध्रूपद गायन के प्रतिनिधि पद्मश्री पंडित रामकुमार मल्लिक केँ सगरो मिथिला(भारत) दिशसंँ सादर श्रद्धांजलि !

02/06/2024

मुंबई दर्शन के दौरान समंदर के किनारे 'कमला नेहरू पार्क' मालाबार हिल में इमर्या न्यूज़ के संपादक: प्रकाश कुमार "छोटू" ।

02/06/2024

रात में मुंबई @ मुंबई दर्शन

02/06/2024

दिन में मुंबई @ मुंबई दर्शन

28/05/2024

#दिनांक : 28-05-2024( #मंगलवार)
#विनायक_दामोदर_सावरकर_की_१४१वीँ_जयन्ती
@ #छत्रपति_शिवाजी_महाराज_टर्मिनस, #मुंबई( #महाराष्ट्र)

28/05/2024

बधाई, मैम !

28/05/2024

#दिनांक : 27-05-2024( #सोमवार)
#महात्मा_गांधी_अंतरराष्ट्रीय_हिंदी_विश्वविद्यालय,
#वर्धा, #महाराष्ट्र( #भारत)
@ #हिन्दी_एवं_तुलनात्मक_साहित्य_विभाग

#संवाददाता : #प्रकाश_कुमार " #छोटू"

Best of May 2023 27/05/2024

िहासिक@ #श्रीयुगेश्वर_सिंह_मार्ग

पछिला मई,2023 मे दरिभंगा जिलाक सभसँ ख़ास ग्रामीण सड़क #श्रीयुगेश्वर_सिंह_मार्ग बनबाव$ में विशेष रूपेँ जे काज हम(प्रकाश कुमार छोटू) व्यष्टिगत वा सामूहिक रूपेँ कयल आओर शेष सामाजिक कार्य जे कयल,तकरे झलकी सभ अछि एहि 'बेस्ट आफ़ मे-2023' में अछि। ई सामूहिक कार्य #भारतीय_मैथिल_ग्रामीण_युवा_संघ( #इमर्या) के कर्मवीर सदस्यलोकनि संगे संग गामक आनोआन युवालोकनि, किशोरलोकनि , बुदरूकलोकनि वा गणमान्यलोकनि जमिकें केलथि। हमरा अपन एहन-सन गाम-बकमण्डर,टोला-जुरीया (दरभंगा जनपदक 'बहेड़ी' थानांतर्गत)पर सदति गर्व अछि ।

Best of May 2023 30 new items · Memory by Prakash Kumar

26/05/2024

#मिथिला_विभूति_गायकश्री_रामबाबू_झा
#जन्मोत्सव @ #इमर्या_न्यूज़

ई दुनू गोटे परिचिते छथि। मिथिलाक स्वनामधन्य गायकश्री रामबाबू झा केर सुनि -सुनि पूरा एकटा पीढ़ी नेना-सँ-जुआन भेल अछि, जाहिमे 'इमर्या न्यूज़' के ई संपादक-प्रकाश कुमार "छोटू" सेहो छथि। सांगीतिक रूपेँ...,गायकश्री रामबाबू झा आओर मैथिली सुगम संगीत केर ग़ज़ब मुरीद संगहि संग हमरालोकनिक बेनीपुर विधानसभा केर प्रगतिशील युवा दंतचिकित्सक-सह-मित्र आनंद कुमार राय केर आलोकमे मिथिला विभूति आदरणीय रामबाबू झा जी केँ एहि जन्मदिवस पर 'इमर्या न्यूज़ ' आओर समस्त मिथिला दिशसँ हार्दिक वा प्रगतिशील शुभकामना ! !

(साभार : ई छायाचित्र डॉ० आनंद केँ फ़ेसबुक वालसँ लेल गेल अछि। एहि छायाचित्रमे डॉ० आनंद, गायकश्री रामबाबू झा क संगे छथि।)

26/05/2024

अपने पहले मुंबई (महाराष्ट्र) प्रवास में, 'इमर्या न्यूज़' के संपादक -प्रकाश कुमार "छोटू" !

11/02/2024

दिनांक : 11-02-2024(रविवार) केर आलोकमे

गामक पहिल विकास पुरुष पुस्तकालय देवता श्रीयुगेश्वर सिंह केर धर्मपत्नी ब्रह्मलीन शैल देवी(जनिका नाम पर 'शैल देवी इनार'क नामकरण भेल अछि) क श्रद्धा समर्पणमे भऽ रहल छओ दिवसीय गरूड़ पुराण कथाशृंखलाक आई समापन भेल। गरुड़ पुराणक ई कथा दिनांक : 06-02-2024(मंगलवार) सँ लऽ कऽ आई क्षौरकर्मक दिनांक : 11-02-2024(रविवार) धरि चलल।

(साभार : ई वीडियो, सहयोगी संवाददाता विकास कुमार
केँ सौजन्य सँ लेल गेल अछि।)

Photos from IMRYA News's post 11/02/2024

गामक पहिल विकास पुरुष पुस्तकालय देवता श्रीयुगेश्वर सिंह केर धर्मपत्नी ब्रह्मलीन शैल देवी(जनिका नाम पर 'शैल देवी इनार'क नामकरण भेल अछि) क श्रद्धा समर्पणमे भऽ रहल छओ दिवसीय गरूड़ पुराण कथाशृंखलाक आई समापन भेल। गरुड़ पुराणक ई कथा दिनांक : 06-02-2024(मंगलवार) सँ लऽ कऽ आई क्षौरकर्मक दिनांक : 11-02-2024(रविवार) धरि चलल।

11/02/2024

#उषा_किरण_खान(1945 - 2024) #भेलीह_ब्रह्मलीन

मैथिली-हिन्दीक प्रसिद्ध साहित्यकार संगहि संग स्त्री विमर्शक वैश्विक हस्ताक्षर पद्मश्री उषाकिरण खान(24 अक्तूबर,1945 सँ 11 फरवरी, 2024)हमरालोकनिक बीच नञि रहलीह। ई साहित्य जगतक अपूरणीय क्षति, थिकैक ! ऐतिहासिक दृष्टिएँ एकटा युगक अवसान भ गेल। एहि स्वनामधन्य साहित्यकार केँ 'इमर्या न्यूज़' केर समस्त टीम दिशसँ भावपूर्ण श्रद्धांजलि !

01/02/2024

#शैल_देवी_भेलीह_ब्रह्मलीन

बहेड़ी थानान्तर्गत ग्राम-बकमण्डर,टोला-जुरीया(वार्ड-02)क पहिल विकास पुरुष, महान समाजसेवी, पुस्तकालय देवता श्रीयुगेश्वर सिंह(भूतपूर्व अंचल निरीक्षक,बिहार सरकार) क धर्मपत्नी शैल कुमारी देवी आजुक राति ब्रह्ममुहूर्तमे ब्रह्मलीन भऽ गेलीह। हुनक उमिर 90 वर्षसँ ऊपर छलनि। हुनक निधनक समाचार 'इमर्या न्यूज़' केँ हुनक पुत्र अनिल कुमार सिंह( अधिवक्ता, व्यावहार न्यायालय,दरभंगा) देलनि। स्वनामधन्य श्रीयुगेश्वर सिंह केर निधन केर 40 वर्ष बाद हुनक धर्मपत्नीक निधन भेलनि।

देशी पंचांग अनुसारेँ आजुक राति लगधग 03:30 बजे #शैल_कुमारी_देवी ब्रह्मलीन भेलीह। देशी पंचांग मे जेकर उदय तकरे अस्त मानल जाइछ ; मुदा अंग्रेजी पंचांग अनुसारेँ दिनांक : 01-02-2024 केर 03 :30 बजे पूर्वाह्न मे शैल कुमारी देवी ब्रह्मलीन भेलीह। एतय उल्लेखनीय अछि जे 11 दिसंबर, 2022 केँ ग्राम-बकमण्डर,टोला-जुरीया मे सम्मपन्न भेल ' #कूपोत्सर्ग_यज्ञ' केर बाद पुस्तकालय देवता श्रीयुगेश्वर सिंह द्वारा निर्मित इनारक नाम कतिपय शैल देवी क नाम पर भारतीय मैथिल ग्रामीण युवा संघ( इमर्या) केर प्रबंधन-सह-मार्गदर्शन आओर ग्रामीणलोकनिक सर्वसम्मतिसँ ' #शैल_देवी_इनार' राखल गेल। ब्रह्मलीन शैल देवी अपन आशीषसँ सींचल सुखितगर समृद्ध परिवार सँ विदा लऽ कऽ पुस्तकालय देवता लग चलि गेलीह। 'इमर्या न्यूज़' केर टीम आओर इमर्या प्रमुख दिशसँ ब्रह्मलीन शैल देवीकेँ सादर श्रद्धांजलि! ओम शांति !!

26/01/2024

ग्राम-बकमण्डर क माँ माना देवी मंदिर मे मनाओल गेल 75म गणतंत्र दिवस

Photos from IMRYA News's post 26/01/2024

ग्राम-बकमण्डर, टोला-जुरीया क 'हनुमान मंदिर समिति' क दिशसँ 75 म गणतंत्र दिवस मनाओल गेल।

26/01/2024

ग्राम-बकमण्डर, टोला-जुरीया क 'हनुमान मंदिर समिति' क दिशसँ 75 म गणतंत्र दिवस मनाओल गेल।

Photos from IMRYA News's post 22/01/2024

अब मनेगी साल में दो दिन दिवाली

Photos from IMRYA News's post 22/01/2024

प्रभु रामलला की प्राण-प्रतिष्ठा दिवस @ मेरा गाँव मेरा घर

22/01/2024

एना भेल सियावर राम केर स्वागत!

Photos from IMRYA News's post 21/01/2024

आने वाले कल के प्रभु रामलला के प्राण-प्रतिष्ठा को लेकर ग्राम-बकमण्डर,टोला-जुरीया के जुरीया चौक स्थित 'हनुमानजी मंदिर समिति' में एकदिवसीय अष्टयाम की तैयारी पूरी।

Photos from IMRYA News's post 20/01/2024

प्रभु रामलला केर प्राण-प्रतिष्ठा वला प्रतिमा सार्वजनिक भऽ गेल अछि। सभगोटे दर्शन कएल जाऊ ! जय श्रीराम !!

19/01/2024

बिहार बोर्ड के छात्रों को "मैट्रिक्स की परीक्षा में लिखे कैसे...?" समझाते हुए इमर्या प्रमुख-प्रकाश कुमार "छोटू"(संपादक,इमर्या न्यूज़)।

Photos from IMRYA News's post 19/01/2024

बिहार बोर्ड

Photos from IMRYA News's post 18/01/2024

अक्षत वितरण दिवस पर सनातन धर्म प्रेमी समूह श्रीराम पुकार-दाईजी फार्महाऊस पर।

15/01/2024

मशहूर शायर मुनव्वर राना का निधन
----------------------------------------------

"लिपट जाता हूँ माँ से और मौसी मुस्कुराती है
मैं उर्दू में ग़ज़ल कहता हूँ हिन्दी मुस्कुराती "

✍️मुनव्वर राना

'माँ' की अहमियत को अलहदा अंदाज़ मे समझानेवाले देश के जाने-माने शायर मुनव्वर राना हमारे बीच नहीं रहे। कल रात उनका निधन हो गया। उत्तर प्रदेश के रायबरेली जनपद से चलकर संसार भर में कवि सम्मेलन-मुशायरा करते हुए उर्दू अदब को प्रतिष्ठा दिलाई। इनके अदब मे हिन्दी और अवधी की झलक खूब मिलती रही। बहुतेरों पाठकों की तरह 'इमर्या न्यूज़' के संवाददाता -सह-संपादक : प्रकाश कुमार "छोटू" को उनकी ग़ज़ल-संग्रह 'माँ' बहुत पसंद है। 'इमर्या न्यूज़' परिवार की ओर से मरहूम मुनव्वर साहब को सादर श्रद्धांजलि !

Want your public figure to be the top-listed Public Figure in Darbhanga?
Click here to claim your Sponsored Listing.

Telephone

Address


Bakmandar
Darbhanga
847105

Other News Personalities in Darbhanga (show all)
jio masti jio masti
Darbhanga, 848213

the jio masti officel

Aaj Tak Aaj Tak
Vill Ujjaina Po Bhachhi Ps Baheri
Darbhanga

Darbhanga Boyz Darbhanga Boyz
Darbhanga

दरभंगा मेरा शान है, अभिमान है, गुरुर है, घमंड है। दिल से दरभंगा | मिथिला राजधानी #DarbhangaBoyz #Like

Pawan Sah Teli Pawan Sah Teli
Darbhanga

यह पेज पर सारी चीज की जानकारी दी जाएगी

Tabish Anwer Show Tabish Anwer Show
Darbhanga, 847307

हम है देश ! जुल्म करने वालो की लगेगी क्ल

Be proud Of Own Self Be proud Of Own Self
Darbhanga, DARBHANGA,BIHAR

Jai mahakal Jai mahakal
Gyari Biraul Darbhanga
Darbhanga, 847203

Dr.Viveka Nand Paswan Dr.Viveka Nand Paswan
Darbhanga, 846001

Bishnupur BIHAR Bishnupur BIHAR
Village+Po/Bishnupur , P. S Tardhe, Distt/darbhanga
Darbhanga, 847404

Ahiyari Got अहियारी गोट Ahiyari Got अहियारी गोट
Darbhanga, 847309

अहियारी गोट, दरभंगा , बिहार । Ahiyari Got A Big Village

MERA  BHART  मेरा भारत MERA BHART मेरा भारत
Kumai
Darbhanga, 847103

नमस्ते मित्रो धन्यवाद।(जागो भारतवास?

ISHQ E ADAB ISHQ E ADAB
Mohalla: Faizullah Khan
Darbhanga, 846004

Jamal Owaisi .... a post modern Urdu poet & critic , Associate professor in Urdu , M R M College , D